गायक: नरेश चंद्र बजला गिरिजा सं महादेब चलु मेला घुम ला बजला गिरिजा सं महादेब चलु मेला घुम ला चलु मेला घुम ला चलु मेला घुम ला बजल...
गायक: नरेश चंद्र
बजला गिरिजा सं महादेब चलु मेला घुम ला
बजला गिरिजा सं महादेब चलु मेला घुम ला
चलु मेला घुम ला
चलु मेला घुम ला
बजला गिरिजा सं महादेब चलु मेला घुम ला
ई परबत जंगल में रही रही
मन हमर अगुता गेल
दिन राति जे भंाग खाइत खाइत
देहो हमर सुखा गेल
ई परबत जंगल में रही रही
मन हमर अगुता गेल
दिन राति जे भंाग खाइत खाइत
देहो हमर सुखा गेल
गैर तै मन होइया जलेबी सेहो खैतौं
चलु मेला घुम ला
बजला गिरिजा सं महादेब चलु मेला घुम ला
मेला में गुलाब जामुन बिकाई
और विकाई छई लडडू
भने किदन जे औरो कहै छई
खाजा हमई ताजा
मेला में गुलाब जामुन बिकाई
और विकाई छई लडडू
भने किदन जे औरो कहै छई
खाजा हमई ताजा
गौरी त मन होइया खाईतौं रसगुल्ला
चलु मेला घुम ला
बजला गिरिजा सं महादेब चलु मेला घुम ला
ओन्हे से चली जाएब जनकपुर
चुस्त पैंट सिलवाएब
बाघम्बर जे भेल पुराना
बेल बटन सिलवाएब
ओन्हे से चली जाएब जनकपुर
चुस्त पैंट सिलवाएब
बाघम्बर जे भेल पुराना
बेल बटन सिलवाएब
गौरी गढ़ा देव कानक बाली
चलु मेला घुम ला
बजला गिरिजा सं महादेब चलु मेला घुम ला
ليست هناك تعليقات