फिल्म : भजन विद्यापति गायक : गीतकार: विद्यापति संगीतकार : पिया मोर बालक हम तरूणी गे पिया मोर बालक हम तरूणी गे को...
Ads by Eonads
फिल्म : भजन विद्यापति
गायक :
गीतकार: विद्यापति
संगीतकार :
पिया मोर बालक हम तरूणी गे
पिया मोर बालक हम तरूणी गे
कोन तप चुकल भेलहुँ जननि गे
पिया मोर बालक हम तरूणी गे
कोन तप चुकल भेलहुँ जननि गे
पिया लेल कोरा में चलल बज़ार
पिया लेल कोरा में चलल बज़ार
हटिया के लोग पूछे
हटिया के लोग पूछे
केला रूप तोहार
नहीं मोर देवर नहीं छोटी भाय
नहीं मोर देवर नहीं छोटी भाय
बिधना लिखल छल
बिधना लिखल छल
बाल मोह हमर
पिया मोर बालक हम तरूणी गे
कोन तप चुकल भेलहुँ जननि गे
पिया मोर बालक हम तरूणी गे
कोन तप चुकल भेलहुँ जननि गे
पहिरल सखी एक दछिनक चीर
पहिरल सखी एक दछिनक चीर
पिया के देखैत भेल
पिया के देखैत भेल दगड सरीर
बाट रे बटोहिया के
बाट रे बटोहिया के तोहि मोर भाई
हमरो बाबाजी के कहब बुझाई
पिया मोर बालक हम तरूणी गे
कोन तप चुकल भेलहुँ जननि गे
पिया मोर बालक हम तरूणी गे
कोन तप चुकल भेलहुँ जननि गे
बेचता बरद गोला किनता धेनु गाय
बेचता बरद गोला किनता धेनु गाय
दूध पिया क
दूध पिया क पोस्ता जमाई
नहीं मोर बरद गोला
नहीं मोर बरद गोला नहीं धेनु गाय
कौने जुगुत सखि
कौने जुगुत सखि पोसब जमाई
पिया मोर बालक हम तरूणी गे
कोन तप चुकल भेलहुँ जननि गे
पिया मोर बालक हम तरूणी गे
कोन तप चुकल भेलहुँ जननि गे
Sharda sinha
ليست هناك تعليقات