Page Nav

HIDE

Grid

GRID_STYLE

Hover Effects

TRUE

Breaking News

latest

Advertisement

Ads Place

बाबा एक बेर ताकू सजल नयन Baba Ek Ber Taaku sajal Nayan

गायक : रतिशचंद्र झा फिल्म : मैथिली पारपंरिक बाबा एक बेर ताकू सजल नयन सं हमरा पर आस करब हम ककरा पर यौ-2 तन के मंदिर एक बनेलौं ओई प...





गायक : रतिशचंद्र झा
फिल्म : मैथिली पारपंरिक

बाबा एक बेर ताकू सजल नयन सं हमरा पर
आस करब हम ककरा पर यौ-2
तन के मंदिर एक बनेलौं
ओई पर भोला के बैसेलौं
तन के मंदिर एक बनेलौं
तन के मंदिर एक बनेलौं
ओई पर भोला के बैसेलौं
माया इद बैसल अछि
माया इद बैसल अछि
तन मंदिर के कपड़ा पर
आस करब हम ककरा पर यौ
माया इद बैसल अछि
तन मंदिर के कपड़ा पर
आस करब हम ककरा पर यौ

फाटल गुदरी के सिबैछी
अपनेक आशा पर जीबैछी
फाटल गुदरी के सिबैछी
फाटल गुदरी के सिबैछी
अपनेक आशा पर जीबैछी
जिंदगी काइट रहल छी
जिंदगी काइट रहल छी
सब दिन अनके असरा पर 
आस करब हम ककरा पर यौ
जिंदगी काइट रहल छी
सब दिन अनके असरा पर 
आस करब हम ककरा पर यौ

छोड़ल भैयारी के आस
केलौं बसहा पर विश्वास
छोड़ल भैयारी के आस
छोड़ल भैयारी के आस
केलौं बसहा पर विश्वास
तैइयो हमरा तज के
तैइयो हमरा तज के
अाहंा पड़ल अछि दोसरा पर
आस करब हम ककरा पर यौ
तैइयो हमरा तज के
अाहंा पड़ल अछि दोसरा पर
आस करब हम ककरा पर यौ

घर घर घुमलौं सौंसे गाम
कियो नै देलैन एको छदाम
घर घर घुमलौं सौंसे गाम
घर घर घुमलौं सौंसे गाम
कियो नै देलैन एको छदाम
बाबा धिया पुता सब 
बाबा धिया पुता सब 
भुखल पड़ल अछि ओसरा पर 
आस करब हम ककरा पर यौ
बाबा धिया पुता सब 
भुखल पड़ल अछि ओसरा पर 
आस करब हम ककरा पर यौ

प्रेमी हम छी निपट बलेल
आहां शिव बनियो जुनि ढलेल
प्रेमी हम छी निपट बलेल
प्रेमी हम छी निपट बलेल
आहां शिव बनियो जुनि ढलेल
यौ दौरु हाथ त्रिशूल लै
यौ दौरु हाथ त्रिशूल लै
बाज परल अछि पकड़ा पर
आस करब हम ककरा पर यौ
यौ दौरु हाथ त्रिशूल लै
बाज परल अछि पकड़ा पर
आस करब हम ककरा पर यौ








No comments



Advertisement

As You Like It