गायक : हेमकांत झा
मामा यो मामा मामा यो मामा
मामा यो तनि खैनी दिय
अपनो खाऊ हमरो दिया-२
बाबू मांगैछथि सेहो दिय
मामा यो तनी ..................२
हेरौं छौड़ा तू बर ढीठ
इतने से खैनी के आदत न सीख-२
रौ इतने से खैनी के आदत न सीख
एना किया कहै छी मामा-२
सबटा करम त अहीं सिखौलौं
मामा यो ......................
जखने से खैनी ठोर तर गेल
बुद्धि के चाबी भेटिये गेल-२
बुद्धि बर्धक चूर्ण मंगै छी-२
नई देब त कहि देब मामी के
नई देब त कहि देब मामी के
मामा———————-
सौ सौ चुटकी नब्बे ताल
हाथ पर खैनी करै कमाल-२
हाथ पर खैनी करै कमाल-२
हमरा छट सौं दिय यो मामा -२
नइ देब त कहि देब नाना के
मामा यो..........................
0 comments:
Post a Comment