फिल्म : गायक : शारदा सिन्हा गीतकार: संगीतकार: सखि हे, कि पुछसि अनुभव मोए। सेह पिरिति अनुराग वखानिअ तिल-तिल नूतन होए।...
फिल्म :
गायक : शारदा सिन्हा
गीतकार:
संगीतकार:
सखि हे, कि पुछसि अनुभव मोए।
तिल-तिल नूतन होए।
जनम अवधि हम रूप निहारल
नयन न तिरपित भेल।
सेहो मधुर बोल स्रवन्हि सूनल
स्रुति पथ परस न गेल।
कत मधु-जामिनि रभस गमाओलि
न बुझल कइसन केल।
लाख लाख जुग हिअ हिअ राखल

तइयो हिअ जरनि गेल।
कत विदग्ध जन रस अनुमोदए
अनुभव काहु न पेख।
विद्यापति कह प्राण जुड़ाइते
लाखे मिलल न एक।

Provided by
No comments